मैथिलीमे निंबध

ब्रिटिशकालमे नवीन स्वतंत्र साहित्यिक गद्य विधाक रुपमे निबंधक जन्म भेल। निबंध गद्यक अोहि विधाकेँ कहल जाइत अछि जाहिमे लेखक कोनो विषय पर स्वच्छन्दतापूर्वक मुदा एकटा विशेष सोषठव, सहिति, सजीवता एवं वैयक्तिकताक संग अपन भाव, विचार एवं अनुभवकेँ व्यक्त करैत छथि। निबंधक विकासमे पत्र-पत्रिकाक विशेष योगदान रहल। मैथिल हित साधन, मिथिला मोद, मिहिर सन पत्र-पत्रिका एकटा ठोस धरातल प्रदान कयल। एकर अतिरिक्त मैथिली अकादमी, चेतना समिति,साहित्य अकादमी अादि संस्थानक विशेष योगदान अछि। प० मुरलीधर झा, हरि नारायण झा, त्रिलोचन झा अादि एहि कालक उल्लेखनीय निंबधकार अछि। एहि कालमे समसामयिक विषय एवं समस्याकेँ प्राथमिकता प्रदान कयल गेल। निंबधक उद्देश्य नैतिक अार्दशक स्थापना, मातृभाषाक प्रसार, जातीय गौरवक ग्यान प्रसारण रहल।
स्वतंत्रताक बाद निंबधमे परिपुर्णता अा परिपक्वता देखल जाय सकैत अछि। स्वतंत्रताकपुर्वक अपेक्षा अालोच्यकालमे निबंधक कथ्य एवं शिल्पमे वस्तुतः महान परिवर्तन देखल जाइत अछि। निबंधक सम्पदाकेँ एना वर्गीकृत कयल जा सकैत अछि।
1. वर्णात्मक – वसन्तक आगमान (म०म० डाॅ० उमेश म्रिश्र)
2. विचारात्मक – मैथिली नाटक: दशा दिशा (सुधाशु शेखर चोधरी)
3.व्यक्तिगत – पृथ्वी ते पात्रं (यात्री)
4.लोक तात्विक – दीनाभद्री, सलहेस (मणिपद्म)
5.भावात्मक – अभिलाशा ( मनमोहन झा)
6.हास्य व्यंग्य प्रधान – खट्टर ककाक तरंग (हरिमोहन झा)
7.सामयिक – बंगलादेश अौ मैथिली कवि (डाॅ० दिनेश कुमार झा)

समाज, संस्कृति,धर्म, शिक्षा, साहित्य एवं राजनीति अादि समस्त विषय निबंधकार लोकनिक विवेचनाक क्षेत्र बनल आ मैथिली साहित्यवृद्धिमे सहायक भेल।

मैथिली मे उपन्यास

मैथिली साहित्य मे उपन्यासक विकासकेँ निम्न कालावधिमे देखल जा सकैत अछि।
आरम्भिक काल (1917 ई॰ – 1921 ई॰)

एहि कालमे उपन्यासक उद्देश्य समाज सुधार आ वैवाहिक समस्याक धरि संकेन्द्रित रहल। मुदा चारित्रिक चित्रण, विषयवस्तु, उद्देश्य, समन्वयक दृष्टिकोणसँ अपरिपक्व रहल। उपन्यास एकटा पैद्य कथा सन प्रतित होेएत अछि। एहि कालक जनारधन झा जनसीदनक “निर्दयी सासु” आ “शशीकला”, बिहारी लालदासक “सुमती” उल्लेखनीय अछि।

निर्माण काल (1922 ई० – 1932 ई०)

चरित्रचित्रण, शब्दविन्यास, विषयवस्तु अादिक दृष्टिकोणसँ उपन्यासमे परिपक्वता आ प्रवाहमयता आबि गेल। एहिकालक जनारधन झा जनसीदनक “पुनःविवाह” आ अनुप मिश्रक “नारद विवाह” प्रमुख उपन्यास अछि।

विकास काल (1933 ई० – 1950 ई०)

एहिकालमे मैथिलीक उपन्यास हिन्दी आ बांगलाक स्वर्णकालसँ स्पष्ट रुपसँ प्रभावित रहल। मैथिली उपन्यास पूर्णतः परिपक्वता प्राप्त करि लेल। हरिमोहन झाक “कन्यादान” आ यात्रीक “पारो” स्पष्ट प्रमाण अछि।

विस्तार काल (1951 ई० – 1990 ई०)

मैथिली उपन्यास हिन्दी, बांगला आ अंग्रजी संग प्रगतीवाद, समाजवाद, माअोवाद सन विचारधारासँ प्रभावित रहल। गांधी, टेगोर, फ्रायड,मोपसा आदिक स्पष्ट छाप मैथिली उपन्यासमे देखल जाय सकैत अछि। पुरानसभ बंधंन केँ तोडैत नव अायाम केँ प्राप्त कयल। मनोविश्लेष्णवाद, व्यक्तिवाद एहि कालक प्रमुखता अछि। ललितक “पृथ्वीपुत्र”, मणिपद्मक “लोरिक विजय” एकर उदाहरण अछि।

संक्रमण काल (1991 ई० – आय धरि)

इलेक्र्टानिक मिडियाक प्रभाव, पत्र – पत्रिकाक अभाव, प्रकाशन आ पाठकक अभाव, मैथिलीक अपेक्षा अग्रजी आ हिन्दीक प्रति मैथिलसभक दुराग्रहक कारण मैथिली उपन्यास संघर्षशील अछि। लीलीरेक “उपसंघार” उषाकिरण खाँक “हसीना मंजरी” एहि कालक उपन्यासक विशेष उदाहरण अछि।

मैथिली मे संस्मरण

स्मृतिक आधार पर कोनो विषय वा व्यक्ति पर लिखल आलेख संस्मरण कहाबैत अछि। लेखक ज‌‍ऽ देखैत अछि अनुभव करैत अछि तकर चित्रण करैत अछि।
संस्मरण एेतिहासिक आ साहित्यिक रूपसँ महत्वपूर्ण अछि। तत्कालिन समाजिक, धार्मिक,प्रशासनिक समसामयिक जीवन शैलीक विवरण भेटैछ। गिरीन्द्र मोहन मिश्रक “किछु देखल, किछु सुनल” मे मिथिलाक स्वतंत्रताक संग्राममे योगदान, मिथिला मिहिरक जन्म वा पुर्नजन्म, मिथिला परिषदक, राजदरभंगाक संचालनक विवरण भेटैछ। एहि कृतिकेँ भारत सरकार द्वारा साहित्य अकादमी पुरसकारसँ सम्मानित कएल गेल।
एहि विधामे मात्रात्मक दृष्टिसँ कम काज भेल मुदा स्तरक
दृष्टिकोणसँ उत्कृष्ट। मैथिली संस्मरणमे जे रचनाकार आ कृति उल्लेखनिय अछि से छथि – बद्रीनाथ झाक “अभिनंदन ग्रंथ”, रमानाथ झाक “अभिनंदन ग्रंथ”, यात्रीक “प्रवासीक संस्मरण”, हरिमोहन झाक “स्वर्गीय”, कुमारगंगानंद सिंहक “स्मृतिक अंक” आ जनारदन झा जनसीदनक “संस्मरण”।